Letter from the Prime Minister
     
     
  हमर प्रिय देशवासी लोकनि,  
     
  ऊर्जा आ उमंग सौं भरल दीयाबातीक एहि पावन पर्व पर अपने सभ के हमर बहुत-बहुत शुभकामना। अयोध्या में राम मंदिरक भव्य निर्माणक बाद ई दोसर दिवाली अछि। प्रभु श्रीराम हमरा मर्यादाक पालन करब सिखबैत छथि आ संगहि हमरा अन्याय स लड़बाक सीख सेहो दैत छथि। एकर जीवंत उदाहरणं हमरा लोकनि किछु मास पूर्व ऑपरेशन सिंदूर मे देखलहुँ। ऑपरेशन सिंदूर मे भारत मर्यादाक पालन सेहो कयलक आ अन्यायक बदला सेहो लेलक।  
     
  एहि बेरक दिवाली एहि लेल सेहो विशेष अछि किएक तऽ देशक कतेको जिला मे दूर-दूरक क्षेत्र में पहिल बेर दिवालीक दीप जरत। ई ओ जिला थिक, जतऽ नक्सलवाद आ माओवादी आतंक के जड़ि से मेटा देल गेल अछि। बीतल दिन मे हम देखलहुँ जे कोना अनेक व्यक्ति हिंसाक बाट छोड़ि कऽ विकासक मुख्य धारा में सम्मिलित भेलाह आ ओ देशक संविधानक प्रति आस्था व्यक्त कयलनि। देशक, ई बड्ड पैघ उपलब्धि अछि।  
     
  एहि ऐतिहासिक उपलब्धि के बीतल किंछु दिन पहिने देश मे नेक्स्ट जनरेशन रिफॉर्मसक सेहो शुरूआत भेल अछि। नवरात्रक पहिल दिन जीएसटीसक कम दर लागू भेल। जीएसटी बचत उत्सव मे देशवासी के हजारो-करोड टाका बचि रहल छनि।  
     
  कतेको संकट से गुजरि रहल विश्व में, हमर भारत स्थिरता आ संवदेनशीलता दुनूक प्रतीक बनि कऽ उभरल अछि। आबयवला किछु समय मे हम दुनिया के तेसर सभ से पैध अर्थव्यवस्था सेहो बनयवला छी।  
     
  विकसित आ आत्मनिर्भर भारतक एहि यात्रा में एक नागरिकक रूप में हमर दायित्व अछि हम देशक प्रति अपन कर्तव्यक निर्वहन करी।  
     
  हम स्वदेशी अपनाबी आ गर्व से कही-ई स्वदेशी थिक। हम एक भारत श्रेष्ठ भारतक भावना के बढ़ाबी। हम हर भाषा के सम्मान करी। हम स्वच्छताक पालन करी। हम अपन स्वास्थ्य के प्राथमिकता दी। भोजन मे तेलक मात्रा दस प्रतिशत कम करी आ योग के अपनाबी। ई सभ प्रयास हमरा लोकनि के आओर गति स विकसित भारत दिस लऽ जायत।  
     
  दिवाली हमरा ईहो सिखबैत अछि जे जखन एक दीप दोसर दीप के जरबैत अछि, तऽ ओकर प्रकाश कम नहि होइछ अपितु आओर बढैत अछि। एहि भावना सँ, हमरा लोकनि के सेहो एहि दिवाली पर अपन समाज में, अपन लऽगपास स‌द्भाव, सहयोग आ सकारात्मकताक दीप जरेबाक अछि।
एक बेर पुनः अपने सम के दीप पर्वक बहुत-बहुत शुभकामना।
 
     
  अपनेक
नरेन्द्र मोदी
 
  Letter from the Prime Minister  
     
   
     
  ई पत्र अपन मनपसंद भाषा में पढ़ू।  
     
 
English हिंदी ગુજરાતી ଓଡ଼ିଆ ਪੰਜਾਬੀ தமிழ் मराठी తెలుగు বাংলা മലയാളം অসমীয়া ಕನ್ನಡ اردو মণিপুরী नेपाली Khasi भोजपुरी मैथिली
 
     
     
       
 
प्रधानमंत्री श्री नरेंद्र मोदी से जुड़ें   पीएम मोदी
सँ जुड़ू।
नवीनतम जानकारी के लिए माईगव विज़िट करें।   नवीनतम जानकारी लेल MyGov पर जाउ।